Maithili Shayari, प्रित में हमरा अहाँ..
प्रित में हमरा अहाँ,
किए ऐना बर्बाद करै छी,
नै हमरा सँ बात करै छी,
नै हमरा अहाँ याद करै छी!
प्रित में हमरा अहाँ,
किए ऐना बर्बाद करै छी,
नै हमरा सँ बात करै छी,
नै हमरा अहाँ याद करै छी!
खोजब अहाँ तें कियो मिल जेता,
मुदा हमरा जोका अहाँकें के सतेता,
मनलों कमी नै अछि अहाँकें संगतुरियाक,
मुदा "जितू" कें जगह कियो कोना लs लेता!
प्रित अहाँक पहचान छी हमर,
स्नेह अहाँक शान छी हमर,
जुदा भs कें अहाँ सँ कोना हम जियब,
अहाँतें अंतिम साँस तक प्राण छी हमर!
नोरक लिखाबट कें अहाँ पैढ़ नै सकब,
भिजल कागज पर अहाँ लिख नै सकब,
याद आयब हम अहाँ कें बहुत,
जखन बिसैर कs हमरा अहाँ पाइब नै सकब!
हमर कहानी हमर खिस्सा छी अहाँ,
हमर साँस हमर दुनियाँ छी अहाँ,
अहाँ कें कोना हम बिसैर जाऊ,
हमर हरेक साँसक हिस्सा छी अहाँ!
Back to TOP